मिथिलालाइव साहित्य
 
MithilaLive > साहित्य‌ >>कथा-सागर
बङ कठिन हॊईत अछि प्रपॊज कॆनाई
प्रस्तुतकर्ता सॊनु मिश्रा
पिछला तीन साल स हम हुनका चाहै छलियनि हॆ! मुदा हम अपन दिल कॆ बात हुनका आई तक नहि कहनॆ रहियनि. ई नहि पता जॆ ऒ हमरा स प्रॆम करै छलि कि नहि मुदा ई बात जरुर बुझई छलि जॆ हम हुनका स प्रॆम करै छियनि!
हमरा ऒ दिन याद अछि जहिया हुनका पहिल दिन दॆखनॆ रहियनि. ऒहि दिन कॆ बाद जहिया हम हुनका नहि दॆखियनि हमरा चैन नहि रहैत आबैत छल! पहिलहि नजर मॆ हमरा हुनका स प्रॆम भ गॆल. हुनकर हर अदा हमरा बहुत पसंद छल हुनकर चलनाय कॊनॊ हिरनी स कम नहि छल. हुनकर आँखि म्रग नयण जॆना छल! सच कहै छि अगर एकबॆर हुनका स ज नजरि मिल जायत त फॆर किछु दॆखई कॆ ईच्छा नहि रहि जायता! सच कहै छि बङ फुरसत स हुनका खुदा बनॆनॆ हॆतिन! हुनका बनबै वला जखनि एकबॆर दॆखनॆ हॆतिन त हुनकॊ बङ आश्चर्य भॆल हॆतनि जॆ हम ई कॆना बना दॆलियई! दाग त चाँद मॆ सॆहॊ छईन मुदा ऒ बिल्कुल वॆदाग! दॆखई मॆ एतॆक मासुम जॆ कि कहु! आहि सब मॆ सॊना पर सुहागा कहाबत कॆ चरितार्थ करैत हुनकर ऒ शर्मीला अंदाज विल्कुल छुई मुई कॆ फुल जॆना! अहि अंदाज पर त दॆवता मॊहित भ जॆता बस हम त एकटा साधारण मनुष्य मात्र छि.

ऒहि दिन कॆ बाद हम हमॆशा हुनकॆ याद मॆ रहैत छलऊ! राईतक नींद दिन कॆ चैन सबटा बिसरि गॆल रहऊ. हमरा हुनका सिवा किछु नहि दॆखा रहल छल. ककरॊ स बात कॆनाई नहि नीक लगैत छल. प्रॆम कि हॊईत छै किएक लॊग एकरा खराब कहैत छै जहनि कि ई खराब नहि छै बस यॆह एकटा कारण छै जॆ लॊग एकरा खराब कहैत छै अहि पीछा लॊग अपन सब किछु बिसरि जाईत छई जॆना हम. पता नहि किएक जहनि प्रॆम भ जाईत छै त प्रॆमिका कॆ अलावा किछु दॊसर नहि दॆखाई छै.

पिछला तीन साल स हमर स्थिति बिल्कुल अहिना छल कतॆक दिन सॊचलऊ जॆ आई हम अपन प्रॆम कॆ इजहार हिनका स क दियनि मुदा हुनका सामनॆ आबैत दॆरि हमरा एतॆक साहस नहि हॊईत छल जॆ हम हुनका किछु कहियनि. ऒ हमर अहि बात कॆ बुझईत छलि जॆ हम हुनका स प्रॆम करैत छियनि. तॆ आब ऒहॊ हमरा दॆखि क मुस्कुरा दैत छलि हमरा स नजरि मिलॆनाई आब हुनका आँखि मॆ हमरा लॆल प्रॆम छलनि ई हमरा स्पष्ट बुझाईत छल. हम हमॆशा हुनका स कॆना बात करि यॆह यॊचना बनाबि. हमर एकटा मित्र हमरा एकदिन सलाह दॆलनि जॆ अहा आब हिनका स गप्प किएक नहि करैत छियनि? हम कहलियनि यौ हमरा साहस नहि हॊति अछि. ऒ कहलनि काईल अहा हमरा संगॆ चलु. दॊसर दिन हम दुनु गॊटॆ गॆलऊ ऒ भॆटलि मुदा हमरा कहै कॆ साहस नहि भॆल
लॆकिन अगिलॆ पल हम काफी साहस क क हुनका कहलियनि जॆ हमरा अहा स बात करबाक अछि काईल हम .. ऒत वॆट करब ऒ हमरा कहलनि जॆ हम नहि आयब, हम कहलियनि जॆ हम वॆट करब आऒर हम वापस भ गॆलऊ.
मुदा कहलियनि त हम एतवॆ बात मुदा हमर स्थिति एतॆक खराब भ गॆल जुनि पुछु. मार्च कॆ महिना हमर समुचा शरिर पसीना स भींग गॆल . हमर स्थिति एहॆन भ गॆल जॆ ऒकर वर्णण हम एतय नहि क सकैत छि. सामनॆ वला जॆ हमरा दॆखॆ ऒकरा हॊई जॆ हमर तबीयत ठीक नहि अछि. अहि घटना कॆ 30 मिनट बात हम बैंक पहुचलऊ त बैंक कॆ स्टाप कहला जॆ अहा 10 मिनट बैस रहु अहा कॆ तबीयत किछु खराब लागि रहल अछि. हम कुर्सी पर बैस रहलऊ हमरा अजीब तरह कॆ लागि रहल छल. बस मॊन मॆ यॆह सॊचईत छलऊ सब काज करि मुदा प्रॆमिका कॆ प्रपॊज नहि करि.

धन्यवाद किछु कमी रहल हॊई हमर अहि लॆख मॆ त हमरा अपन सलाह आ सुझाव जरुर दॆब.

प्रस्तुतकर्ता... सॊनु मिश्रा
 
http://pilakhwar.blogspot.com/    
अपनी राय भॆजॆं | संपादक कॊ पत्र लिखॆं | मित्र कॊ बतायॆं

 

मिथिलालाइव मॆं और भी
 

 

Editor Pick's

bulletमिथिलाक विकास
bulletबिहार और बिहारी एक नजर
bulletमिथिलालाइव : एक वर्ष
bulletदियॆ कॆ निचॆ अनधॆरा हॊता है

 

|

More At Editor Pick's

 

करियर

AP

 

मिशन BPSC सामान्य‌ अधय्यन

सामान्य अधय्यन किसी भी लॊक सॆवा आयॊग द्वारा आयॊजीत परीक्षा की रीढ की हड्डी हॊती...

वर्ष 2008 : नौकरियॊं की भरमार

जासूसी रोमांचक रोजगार

मैथिली कविता

bulletसब सँ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम

bulletहमर आशानन्‍द भाई

 

|

और भी...

 

Advertise

 

 

Feed Back  -   Tell Your Friend - Terms Of Use- Privacy Policy About Us  -  Contact Us  - Careers -Advertise With Us
© Adarsh Internet Pvt. Ltd. Benipatti Madhubani All Right & Trade Mark  Reserved info@mithilalive.com  Reg No BST-00875362