|
अतुल्य-प्रकाश उर्फ बब्लू ...... |
आय बरसातिक दिन छल आ नव विवाहित अतुल्य-प्रकाश उर्फ
बब्लू के घर में पिछला तीन दिन में जे घटनाक्रम घटित भेल छल ओ हुनक जीवनक
विभिन्न हिस्सा के एकटा फिल्म केर रील'क भाँति हुनका देखा रहल छलन्हि,
बिल्कुल टुकड़ी-टुकड़ी में।
अतुल्य-प्रकाश के आय तक शायदे किओ पूरा नाम सँ जानैत हेतन्हि जे ओकर आगू
लाल दास सेहो लागल अछि। माँ बाबूजी'क लेल त’ एखनो ओ बब्लू छलाह, ओएह बब्लू
जे बच्चा में बदमाशी करैत-करैत जखन अपने थाकि जाइत छलाह तखने हुनकर खेल
बन्द होइत छलन्हि। मजाल छलैक जे किओ हुनका एक बेर डाँटि दैथि। कहल गेल अछि
बच्चा अपन दादा-दादी, नाना-नानी लग बिगड़ि जाइत छैक। मुदा अतुल्य प्रकाश
उर्फ बब्लू बच्चा में बदमाशी जरूर करैत छलाह, मुदा बिगड़लाह नहि। अपितु
एत्ते सुधरलाह जे हुनकर माँ-बाबूजी हुनका पर एखनो गर्व करैत छैथि। पुणे
के एकटा प्रतिष्ठित सॉफ्टवेयर कम्पनी में सीनीयर सॉफ्टवेयर इन्जीनियर पद
पर कार्यरत छलाह। हुनकर माय अक्सर अपन तुरिया के कहैथ छलीह जे बब्लू के
साठि हजार टाका महीना भेटैत छैक। आ सरकार के 12 हजार टाका इनकम टैक्स के
रुप में दैत छथिन्ह। अक्सर हुनकर दियादिनी लोकनि हिनका परोक्ष में बाजैत
छलीह जे एहनो कतओ भेलैक अछि जे 25-26 सालक लोक के साठि हजार टाका दरमाहा
भेटतैक।
समय बदलल आ ओहि क्रम में लोक सभ सेहो बदलैत गेल। अतुल्य प्रकाश के विवाह
भेने आय आठ महीना बीत गेल छल। विवाह भेलन्हि अपने सँग काज करय वाली कन्या
सँग। संजोग सँ ओहो मैथिल छलीह...आ कुंडली से मिल गेल छलन्हि। हुनकर माँ
बाबूजी के बुझु जीविते स्वर्ग भेटि गेलन्हि। पूतोहु भेटलन्हि एतेक सुन्दर,
आ ओहो अंग्रेजी बाजय वाली। कम्प्यूटर सायन्स में ओहो इन्जीनियरिंग केने
छलीह। मुदा अतुल्य उर्फ बब्लू के माय जखन अपन दियादनी के अपन पुतोहु के
बारे में बतबय छलथिन्ह तऽ हुनका लेल एक्के टा बात मुँह सँ निकलैत छलन्हि
जे हमर पुतोहु अँग्रेज जँका अंग्रेजी बाजैत छथि। हुनका आगु में शायद
कम्प्यूटर इन्जीनीयरिंग के डिग्री शायद अंग्रेजीक सामना में मुरझा जायत
छल। हुनका कतेक बेर बुझायल गेल जे कम्प्युटर अंग्रेजी सँ बेसी महत्वपूर्ण
होइत अछि मुदा हुनका लेल अंग्रेज सन अंग्रेजी, एखनो बेसी महत्व राखैत
छलैक।
समय बदलल... मुदा लोक सब ओएह। कियो नहि बदलल। मुदा बब्लू, ओ बब्लूआ सँ
अतुल्य प्रकाश कोना भेलाह से हुनको नहि जानि पड़लन्हि। विवाह सँ पहिने जखन
ओ पुणे सँ गाम आबैत छलाह सब कियो इएह कहैत छल। ई बब्लुआ एतेक पढ़ियो के नहि
सुधरल। एखनो एकरा अन्दर के बच्चा नहि गेल अछि। ओ बच्चा जे आब बेसी बदमाशी
नहि करैत अछि मुदा अन्दर में बच्चा'क सहजता, निश्चछलता ओएह। आनो आदमी बाट
चलैत इएह कहैत छलथिन्ह जे बेटा होथि त’ बब्लू जेकाँ। मुदा की एकटा विवाह
बब्लू के एना बदलि देत ? से ककरो नहि बुझल छल। आबक बब्लू आब बब्लू नहि,
आब अतुल्य-प्रकाश बनि गेल छलाह। अतुल्य प्रकाश एक एहन व्यक्ति छलाह जेकरा
अन्दर में गम्भीरता आ कूटनीति भरि गेल छलन्हि। हुनका अन्दर में बब्लूक
कोनो गुण नहि मौजूद छलन्हि। गामक लोक त’ बहुत तरह'क बात करैत छल मुदा
बब्लू अतुल्य-प्रकाश में कोना परिवर्तित भेला से ककरो नहि मालूम छल।
अलग-अलग लोक अलग-अलग बात कहैत छलथिन्ह मुदा जिनका किछो नहि बुझल छल ओ
हिनकर कनियाँ के दोष दैत छलथिन्ह। मुदा ओ खुद अपना आप के एहि दुआरे बदलि
लेलथिन्ह किएक त’ विवाह सँ पूर्व आदमी लड़का रहैत छैक आ विवाह'क बाद ओ आदमी
भ' जाइत छैक। आब ओ आदमी भ' गेल छलाह, तेँ लड़कपन के छोड़ि देनाइए उचित
बुझलथिन्ह।
हुनकर कनियाँ जे कहियो विलासिता सँ दूर नहियो नहि रहलीह. परन्च अपन काज
में पूर्ण प्रोफेशनल छलथिन्ह। हमेशा सँ हुनक विलासिता पूर्ण जीवन हुनकर
पढ़ाई-लिखाई में कहियो बाधक नहि छल। ओ हमेशा सँ अपन कैरियर'क बारे में सजग
रहथिन्ह. विवाह सँ पूर्व अतुल्य-प्रकाश उर्फ बब्लू सँ कबूल करबा नेने
छलथिन्ह जे विवाह के बाद ओ अपन नौकरी के कहियो नहि छोड़तीह, आगु किछु दिनक
बाद हुनका एम.बी.ए करबाक छलन्हि सेहो ओ बब्लू केँ बता देने छलथिन्ह।
विवाह सँ पहिने बब्लू के अपन कनियाँ'क इएह बात नीक लागैत छल। ओ सोचैत
छलाह जे हुनकर माँ-बाबूजी कतेक खुश हेथिन्ह जे हुनकर बेटा के साथ-साथ
पुतोहु सेहो सॉफ्टवेयर इन्जीनियर। मुदा हुनकर वास्तविक जीवन एकटा शायर'क
भाँति छल, जिनकर शायरी पर फिदा भ' के तऽ एकटा लड़की विवाह कऽ लेलथिन्ह,
मुदा ओ लड़की के बाद में पता चललैक जे ई शायर तऽ जिन्दगी में एक्के घंटा
शायरी करैत छैक आ बाँकी के 23 घंटा एक आम आदमीक तरह रहैत छैक।
बब्लू के कनियाँक जे बात अपन विवाह सँ पहिने बढियाँ लागैत छलैक, ओएह बात
आब खराब लागय लागलैन्ह। कखनो-कखनो ओ सोचैत छलाह जे माँ-बाबूजी'क जीवन
कतेक बढियाँ छलैक। बाबूजी'क ऑफिस सँ अयला'क बाद हुनकर माँ कम सँ कम एक कप
चाय बना के तऽ दैत छलीह। मुदा ओ अपन कनियाँ के कैरियर के प्रति बहुत
संवेदनशील छलाह। हुनकर कखनो मोन नहि छ्लन्हि जे हुनकर कनियाँ अपन नौकरी
छोडि साँझ के एक कप चाय बनेबा'क लेल घर बैसथि। मुदा हुनका आ हुनकर कनियाँ
में बहुत अन्तर छलैक। ओना तऽ अक्सर ई होइत छैक जे दु लोकनि दु
भिन्न-भिन्न स्थान सँ आबि के एक जगह रहनाय शुरु करतैक, तऽ दुनू के
रहन-सहन में अन्तर ते हेबे करतैक। मुदा एतय दुनु आदमी के सोचे में अन्तर
छलैक। जतय बब्लू एक बढियाँ जीवन केँ महत्व दैत छलथिन्ह ओतय हुनकर कनियाँ
जीवन में प्रत्येक ऊँचाई छुबय चाहैत छलीह, चाहे ओही लेल हुनका किछो करय
पड़न्हि। दुनू लोकनि अपन-अपन जगह ठीक मुदा दुनु में कोनो सामंजस्य नहि।
बब्लू एहि बात के अपन नियति बना काज चलबैत छलाह जे विवाह'क बाद पति आ
पत्नी के कतओ नहि कतओ कम्प्रोमाइज करइए पड़ैत छैक।
मुदा परसु त’ अति भ' गेलैक। आय बरसातिक दिन छलैक आ हुनकर माँ-बाबूजी'क
फोन पिछला एक महीना सँ आबि रहल छल जे कनियाँ के बरसातिक पूजा करैक लेल
जरूर कहबैक। बब्लू से सकारात्मक छलाह जे बरसातिक पूजा कतओ नहि हो।
बरसातिक कथा त’ नहि भ' सकैत छैक मुदा बड़ गाछक पूजा जरूर भ' सकैत छैक। की
हेतैक कनियाँ के एक दिनक छुट्टीए ने लेबे पड़तन्हि। तें कनियाँ के बिना
बतेने पिछला एक महीना सँ बड़'क गाछ ताकै में लागल छलाह। सँयोगवश बड़ गाछ
सेहो भेटि गेलन्हि।
आ तीन दिन पहिने अपन कनियाँ के ई बात कहने छलाह जे बरसातिक दिन छुट्टी
जरूर ल' लेब। आशाक विपरीत कनियाँ हिनका निराश क' देने छलीह। हिनका कहने
छलीह, "21वीँ सदी में भी तुम इस ढोंग पर विश्वास् करते हो, मुझे यह जानकर
आश्चर्य होता है कि तुम एक सॉफ़्टवेयर इन्जीनियर हो और फौरेन का तीन बार
दौरा कर चुके हो उस दिन मेरे प्रोजेक्ट की डेलिवरी है, एन्ड आई कान्ट स्टे
एट होम जस्ट फोर आल दीज नोनसेन्स"। कनिके देर में बब्लूक माय के फोन सेहो
चलि आयल आ बब्लू के माय सँ एतेक बड़का झूठ कहबाक हिम्मत नहि भेलन्हि जे ओ
कहि देथीन्ह की कनियाँ बरसातिक पूजा करय सँ मना क' रहल छथीन्ह।
ओ अपन माँ-बाबूजी सँ कहि देलथिन्ह सब बात सच सच। हुनकर माँ-बाबूजी कनियाँ
सँ बात करबाक लेल चाहैत छलथिन्ह मुदा ओ फोन पर बात नहि करय चाहैत छलीह।
परसुए त’ बरसाति अछि आ आय ई सब नाटक भ' रहल छल। ओहो राति एक्के बिछौन पर
पड़ल बब्लू जतय पूरा दुनियाँ के बारे में सोचैत छलाह आ आजुक टटका घटना'क
कोनो उपाय सोचै में व्यस्त छलाह, ओतैय हुनकर कनियाँ फोंफ काटैत सुतल छलीह।
|