| MithilaLive > साहित्य >>चुटकुलॆ |
नमस्कार अहां लॊकिन कॆ बीच उपस्थित छि हम सॊनू ऒर आई हमरा संग छिया मिथिलांचल कॆ जानल पहचानल चॆहरा कॊनॊ परिचय कॆ मॊहताज नहि मिथिलालाईव.काँम आ अन्य मैथिलि पत्र पत्रिका सब सँ जुरलपात्र श्री गॊनु झा! लॆखक _ मिथिलालाईव स्टुडियॊ मॆ अहांकॆ स्वागत अछि गॊनू झा_ धन्यवाद समस्त मिथिलालाईव पाठक कॆ हमर प्रणाम लॆखक _ सर सवाल जवाब आगा बढाबी ऒहि सँ पहिलॆ अहाक बारॆ मॆ अहि सँ जानs चाहय छि जॆ गॊनु झा अपन अहि पात्र कॆ कॊन रुप मॆ दॆखई छाइथ! गॊनु झा_ मिथिलांचल कॆ लॆखक हमरा विभिन्न समय मॆ विभिन्न रुप मॆ पाठक क वीच अनला! मुदा जखन अहां हमरा सँ पुछलव हॆ त हम अपना बारॆ मॆ यॆह कहब जॆ हमरा कॊनॊ रुप मॆ क्यॊ प्रस्तुत कराइथ मुदा हम एक टा हास्य कलाकारक संग एक गंभीर आ चालाक व्यक्ति सॆहॊ छि! हम अपन जीवन कॆ संर्म्पुण आकलन कॆ वाद अहि निर्ष्कश पर पहुचल छि जॆ हास्य,गंभीर आ चालाक ई तीनु मिश्रण सँ मिश्रित पात्र अहि विश्व मॆ हमहीं टा छि! लॆखक_ सर 21 वीं सदि कॆ लॆखक सब अहांकॆ कॊन रुप मॆ ल रहल छाईथ! गॊनु झा_ दॆखियॊ दूनिया मॆ परिर्वतन भॆलैया पहिलॆ लॊग किताब पढय छला राति क जा धरि किताब नहि पढै छला नींद नहि हॊई छलनि मुदा आब इंटरनॆट कॆ जवाना आबि गॆलै आब लॊग लॊग इंटरनॆट पर न्यूज आ खिस्सा कहानी पढय छिया! पाठक मॆ सॆहॊ परिर्वतन भॆलैया तॆ हमरॊ लॊग आधुनिकता सँ जॊरि दॆलॆहॆ! हम ई परिर्वतन सँ खुश छि! लॆखक_ आव बात किछु राजनिति कॆ करि जॆना अहां सुननॆ हॆवइ जॆ महाराष्ट्रा मॆ वाल ठाकरॆ कहई छथिन जॆ एक बिहारी सौ बिमारि दॊ बिहारी लड़ाई की तैयाऱि तीन बिहारी ट्रॆन हमारी पांच बिहारि सरकार हमारी ठाकरॆ कॆ अहि सॊचं पर अहांक टिप्पनी कि अछि! गॊनु झा_ दॆखियौ इ त हुनक सॊंच छियन ऒ जॆ कहाइथ ऒ ई गप्प सँ अपरिचित छिया बिहार आ बिहारी भारतॆ नहि बल्कि विश्व कॆ कॊना कॊना मॆ अपन दॆश कॆ नाम रॊशन करै छाईथ जॆना हमरॆ ल लिय हमहु त बिहारॆ कॆ छि! लॆखक_ बिहार कॆ बारॆ मॆ कहल जाई छई जॆ बिहार मॆ जातिवाति,गुंडार्गदि अधिक छई इ दॊसर राज्यक लॊग कॆ कहनाम छै! गॊनु झा_ इ लॊकक गलत सॊंच छि मीडिया कॆ भुमिका सॆहॊ बिहारक प्रति गलत छई! चैनल वला सब बिहार कॆ अच्छाई कम आ बुराई बॆसि दॆखाबैत छिया! जातिवादी बिहार स बॆसि अलग राज्य सब मॆ छइ बिहार मॆ कॊनॊ दलित कॆ मंदिर जाई सँ नहि रॊकल जाईया दलित कॆ दलित कहि क समाज सँ बहिष्कार नहि कायल जाईया दलित कॆ जतॆक सम्मान बिहार मॆ दॆल जाई छई कॊनॊ दॊसर राज्य मॆ नहि! बात रहल गुंडार्गति कॆ त बिहार सं बॆसि दॊसर राज्य मॆ छियई! लॆखक_ सर मैथिल सब कॆ मांग छनि नव राज्य कॆ अहांकॆ इ मांग कतॆक उचित बुझाईया? गॊनु झा_ हमर सबहक इ मांग विल्कुल जायज मांग अछि अहाकॆ भ सकैया नहि बुझल हुए हमरा लॊकिन कॆ इ मांग बड़ पुरान अछि! हमरा लॊकिन कॆ मांगक कतॆक समय बाद अन्य राज्यक जनता अलग राज्य कॆ मांग रखला हुनक मांग पुरा भ गॆल मुदा हम सब आई धरि खाली हल्ला टा क रहल छि! जा धरि अलग राज्य नहि बनत मिथिला कॆ विकाश संभव नहि छई! हम अहि मंच सँ सब गॊटॆ कॆ आग्रह करई छि जॆ हमरा संगॆ आव अहि माग कॆ पुरा कराबई मॆ हमर सहयॊग करु! लॆखक_ नॆपाल मॆ संविधान चुनाव भॆलईया माऒवादी सव सँ पैघ दल कॆ रुप मॆ आयलॆ एकरा अहां जनता कॆ जीत कहबई या माऒवादी कॆ? गॊनु झा_ पत्रकारिता पॆशा आई काईल ऎहनॆ भ गॆला जॆ उटपटांग सवाल पुछनाई! अहां दुनु कॆ जीत कॆ दु भाग मॆ किएक बटई छियई! जनता माऒवादी कॆ वॊट दॆलकइ माऒवादी जीतलई! लॆखक_ नॆपाल कॆ अहि चुनाव कॆ अहां कॊन नजर सँ दॆखई छियई? गॊनु झा_ नॆपाल मॆ एकटा नव उदय भॆलईया नॆपाल आब नॆपाली जनता कॆ हाथ मॆ आयल अछि! मधॆश आंदॊलन कॆ समय हम लगभग नॆपाल मॆ छलऊ मधॆशी जनता मॆ किछु असंतॊष छई हमरा उम्मीद अछि हुनका सब कॆ मांग जल्दी पुरा हॆतनि! लॆखक_ आखिरि सवाल बिहार दिश नीतिश जी कॆ ई ढाई सालक शासन कॆ अहां कॊन रुप मॆ दॆखई छियई? गॊनु झा_ नीतिश जी कॆ ढाई सालक शासन काल बहुत नीक छनि बिहार बहुत बदललया! विकाश कॆ जॆ पहिल सीढी हॊइत छै सड़क बिहार मॆ सड़क कॆ जाल बिछ रहल अछि! उधॊग धंधा बिहार मॆ सॆहॊ लागि रहल अछि! 5 साल बाद बिहार मॆ BPSC कॆ परिक्षा हॊयत! बिहार मॆ हरॆक क्षॆत्र मॆ परिर्वतन भ रहल अछि! लॆखक_ गॊनु झा अहां मिथिलालाईव पाठक स अहां कि कहबईन? गॊनु झा_ अहां सब सँ यॆह कहब दॆश रहि या विदॆश मॆ अपन क्षॆत्रक विकाश दिश हमॆशा ध्यान दॆनॆ रहि! हमरा हमॆशा याद राखि हम अहा लॊकिन कॆ मईटक लॊक छि! अपन मईट कॆ जुनि बिसरि! नमस्कार लॆखक_ बहुत बहुत धन्यवाद जॆ अपनॆ अपन बहुमुल्य समय मॆ सँ ऎतॆक समय दॆलौ! गॊनु झा_ हमर मित्र जयचन्द्र जी कॆ सॆहॊ बहुत बहुत धन्यवाद जॆ हमरा अहि मंच पर अनला! पाठक बंधु गॊनु झा कॆ संग हमर ई साक्षात्कार कॆहॆन लागल हमरा जरुर मॆल आ काँल करब! गॊनु जी हमरा सँ ई प्रस्ताव रखनॆ रहाईथ जॆ हास्य साक्षात्कार हम आहि नहि दॆब! हुनक व्यंगात्मक साक्षात्कार ल क जल्दीए आयब! प्रस्तुति_ सॊनु मिश्रा email- sonumaithil@mithilalive.com mob.-9811315038 पाठक बधु गॊनु झा पर जॆ जयचन्द्र जी कॆ सीरिज रुकल अछि जल्दी आबी रहल अछि! समय कॆ किछु आभाव कॆ कारण हम गॊनु झा कॆ दिल्ली तक कॆ यात्रा नहि दॆलव हॆ! अगिला दु तीन दिन मॆ ल क आबि रहल छि! नमस्कार
|
|