मिथिलालाइव
साहित्य
 
MithilaLive >Sahitya >>कविता
 
सब सँ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम प्रवीण झा,
नभमंडल के असंख्‍य ताराक मध्‍य चमकैत भानु समान,
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
जकरा उत्‍तर गिरिराज हिमालय छथि स्‍वयं विराजै
कमला-कोशीक निर्मल धारा जकर चरण पखारै ।
जत$  भेटए मुख पानक लाली संग मधुर मुस्‍कान
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
छप्‍पन व्‍यंजन मध्‍य जतए सर्वोपरि अछि तिलकोर
स्‍वर्गो में नै भेटए अपन मिथिलाक " माछक झोर"
स्‍वागत में प्रस्‍तुत होइछ जतए जोड़ा खिल्‍ली पान
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
सरस भूमि आ लोक सरस, भोजन दही-चूड़ा
इ भोजन नै भेटए स्‍वर्गो में, नै भेटए माछक मूड़ा ।
जतए अछि वाचस्‍पति, विद्यापति आ विदेह केर गाम,
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
भाषा मधुर, भोजन मधुर, मधुर अछि विधि-व्‍यवहार
चौठ चन्द्र, मधुश्रावणी, कोजागरा सन अछि पाबनि-तिहार ।
डेग-डेग पर पोखरि भेटए, भेटए माछ-मखान
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
जखन कोजागरा में अबैत अछि पान-मखानक भार
पूर्ण इजोरिया में पुरैछ लोक सौसे गाम हकार ।
इ संसार जनैत अछि हमरा, हम छी कौटिल्‍यक संतान
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
विद्वानक इ धरती से के नै बुझैत अछि
प्रतिभाक कमी नै से दुनियॉं जनैत अछि ।
मंडनक विद्वता सुनि एला " शंकर" सन विप्र सुजान
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
सीता, अहिल्‍या बहिन छथि हम्‍मर
पतंजलि जनमला एही धरती पर
सौन्‍दर्य, सौम्‍यता देखि जतुका लोभेला स्‍वयं श्रीराम
सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
मॉ मिथिला के कोरा में सरिपहुँ हम अतिशय सुख पाबी
मॉं मिथिला के चरण वंदना हम अहर्निश गाबी ।
पुनि-पुनि जनमी एही धरती पर, इएह विनती हे भगवान
 सब सॅ सुन्‍दर अछि जगत में हमर मिथिलाधाम ।
 
प्रस्‍तुति- प्रवीण झा
 
Know More About Writer- Click Here,     E-Mail pkjpatna@gmail.com    
More Poems From Pravin Jha
स्‍वर्ग सॅ सुन्‍दर मिथिलाधाम
मैथिल भाई हमर प्रणाम
आप आए, बहार आई
प्‍यार के फूल
धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान
मॉ मिथिले त कनिते रहती
Pravin Jha 

 Advertisement

Feed Back  -   Refer To Friend - Terms Of Use- Privacy Policy About Us  -  Contact Us  - Careers -Advertise With Us
© 2007 Adarsh Internet Pvt. Ltd. Benipatti Madhubani All Right Reserved info@mithilalive.com