मिथिलालाइव
साहित्य
 
MithilaLive >Sahitya >>कविता
 
संदिग्‍ध विलाप   -   अविनाश

गाम मे आब सगरो ठाढ़ अछि कोठाबला घर
दूमंजिला सेहो
लोहाबला दरबज्‍जा लागि गेलनि बहुतो कें
दलानक परिपाटी आब रहिये ने गेल
सभ नुकाएल छथि घर'क दोग मे

दुफरिया मे रिक्‍शा पर टघरैत-टघरैत
हम हुलक' चाहैत छी दीयाद-बादक घर-आंगन
मुदा मन्‍हुआएल देबाल
बन्‍न खिड़की-दरबज्‍जा कहि दैत अछि
जे आब लोक कें तकला सं नहि भेटत लोक

नद्दी कातक सभटा खेत बहि गेल
गाछी अगोरने अनका गामक लोक

एतेक दिनक बाद अएलहुं गाम
अबिते हम घूर' चाहैत छी
परसौनी बाली काकी मुदा दुखित भ' गेलीह सुनि कए

'कत' जाएब नुनू
भरि मुंह अखनि देखबो ने कएलहुं अहां कें
रौद खसला पर कचहरी सं कक्‍का एता
त' दौड़ेबनि हुनके
ल' अनता माछ'

हमरा बूझल अछि-
स्‍वाद वएह पुरान हमरा भेटत
मुदा गाम हमरा नहि भेटल वएह!

मोनक चौबटिया पर ठाढ़ भ'
स्‍मृति कें एहन हेराफेरी देखि हम विलाप क' रहल छी
अनचिन्‍हार लोक के हमर विलाप लागैत अछि हृदय विदारक
ओ समवेत कहैत अछि- आह!

मुदा अहीं कहू
जे गाम छोड़‍ कए उन्‍नति केलहुं हमसभ
गामक पुरान सन अवगति मे किए घूर' चाहैत छी?

*********

प्रस्‍तुति-  अविनाश



 
 
 प्रस्‍तुति-http://mithila-mihir.blogspot.com/
More Poems From Pravin Jha
स्‍वर्ग सॅ सुन्‍दर मिथिलाधाम
मैथिल भाई हमर प्रणाम
आप आए, बहार आई
प्‍यार के फूल
धन्‍य-धन्‍य ओ मिथिला महान
मॉ मिथिले त कनिते रहती
  Advertisement

Feed Back  -   Refer To Friend - Terms Of Use- Privacy Policy About Us  -  Contact Us  - Careers -Advertise With Us
© 2007 Adarsh Internet Pvt. Ltd. Benipatti Madhubani All Right Reserved info@mithilalive.com