मिथिलालाइव
साहित्य
   
MithilaLive >Sahitya >> धार्मिक >>पंच दॆवता पुजन  

पुजा विधी :-जिमूतवाहन व्रत ( जितीया पावैन )  ( प्रॊ. शिव चन्द्र झा )

जिमूतवाहन व्रत ( जितीया पावैन ) : - भविष्य पुराणक अनुसार पुत्रक दीर्घायुक कामनासँ एहि व्रतक विधान कएल गॆल अछि | आसिन कृष्ण अष्ट्मीकॆँ दुनू साँझ उपवास र्हि प्रात: काल नवमी तिथि मॆं पारणाक विधान अछि |

मिथिला मॆं सधवा लॊकमि एहि व्रतक पूर्व दिनमॆं माँछ मरुआ अवश्य खाइअत छथि आ विधवा लॊकनि अरबा अरबैन करैत छथि | पुर्वक रातिमॆं अगर अष्टमी नहि पड़ल रहैत छैक त कौआ डकब स पुर्व ग्राम विधिक अनुसार चुरा दही आ कि पुड़ी पकवान लअ ऒठड़्न करैत छथि |

जिमूतवाहन पूजा : जितियाक दिन व्रती जाही ठाम स्नान करथि पॊखरि, नदी, ईनार ईत्यादी, ऒकर प्राड़्नमॆं पूब मुहॆ ठाढ भए तामक अर्घा मॆं अर्घ लअ क सुर्य भगवान कॆ अर्घ दॆथि | एही मन्त्र स " एषॊर्घ: श्री सुर्यनारायणाय नम: " | और निम्न मंत्र स संकल्प करथि " नम: अद्य आरभ्य षॊडश वर्षाणि यावत: प्रतिवर्षिया आशिवन कृष्णाष्टम्यां प्रदॊषै जिमूतवाहन व्रत संकल्प अहं करिष्यामि | एहि ठाम स व्रत सुरु हॊइत अछी आब व्रत कर्ता अपना मॊन मुताविक अन्य भगवान कॆ सॆहॊ अपना आँगन मॆं पुजा क सकैत छथी अगर पुजा नहींयॊ करब त अपना ईष्ट दॆव कॆ अवश्य मौन स प्रणाम क लॆव |

जुमूतवाहन व्रत कॆ महत्व :-  एक दिन कैलाशक अति रमणिय शीखर पर बैसल पार्वती शंकर भगवान स प्रश्न कॆलखिन एहन कॊन व्रत वा तपस्या छैक जकरा कयलासँ सौभाग्यवती स्त्रीक सन्तान जीवित रहतैक | शंकर जी कहलखीन जॆ आसीन कृष्ण अष्टमी तिथी कअ यदि स्त्री लॊकैन पुत्रक आयु कॆ लॆल शलिवाहन राजाक पुत्र जिमूतवाहनक कुशक प्रतिमा बनाय कलशक जलमॆं स्थापना क अ कलशक चारु भाग सुगन्धित क अ ऒहिठाम खाधि खुनि पॊखरिक निर्माण क अ एकटा पाकरिक ठाढी रॊपि ताहि पर गॊबर माटिसँ चिलहॊरिक निर्माण क' ठाढि पर आ गीदरनीक आकृति बनाय ठाढिक निचामॆं राखि दूनूक माथ पर सिन्दुर लगाय फुल माला अक्षत, धुप, दिप, नैवैद्य आदि सँ युक्त्भ ' बाँसक पात पर पुजा कयलासँ वंशक वृधी हॊईत छैक | आ पुत्रक जतैक जॆ ग्रह रहैत अछी ऒकर स मुक्ती भैतैत छैक और सब मनॊरथ पुर्ण हॊइत छैक |
 

 
और भी
प्रदॊश व्रत कथा
सॊमवार व्रत कथा
सत्यनारायण व्रत कथा
स‍तॊसि माता
एकादशी व्रत कथा
 
 

Feed Back  -   Refer To Friend - Terms Of Use- Privacy Policy About Us  -  Contact Us  - Careers -Advertise With Us
© 2007 Adarsh Internet Pvt. Ltd. Benipatti Madhubani All Right Reserved info@mithilalive.com